21 जुलाई के होयत लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) युवा मोर्चा राष्ट्रीय कार्यकारिणी केर बैठक

लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) केर युवा मोर्चा केर राष्ट्रीय कार्यकारिणी बैठक आगामी 21 जुलाई के नई दिल्ली स्थित कंस्टिट्यूशन क्लब मे आयोजित होयवाक अछि। एहि महत्वपूर्ण बैठक मे पार्टीक केंद्रीय अध्यक्ष श्री चिराग पासवान, लोकसभा सांसदगण संग संगठन स जुड़ल वरिष्ठ नेता लोक सेहो भाग लेतीथ।


ई आयोजन युवा मोर्चा के राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री प्रणव कुमार केर निर्देशन मे भ रहल अछि। कई राज्य सं आयल युवा प्रतिनिधि लोकनिक भागीदारी एहि बैठक के और बेसी महत्वपूर्ण आ निर्णायक बनाबि रहल अछि, विशेष रूप सं आगामी 2025 विधानसभा चुनाव के तैयारीक सन्दर्भ मे।

युवा लोजपा (रामविलास) केर राष्ट्रीय उपाध्यक्ष एवं प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा जनौलनि जे ई बैठक खास क' संगठन के मजबूती आ चुनावी रणनीति पर केंद्रित होएत। ओ कहलनि जे श्री चिराग पासवान आ श्री प्रणव कुमार एहि मौकापर कार्यकर्ता लोकनि मे नई ऊर्जा आ जोश भरता।

डॉ. झा कहलनि जे विशेष रूप सं बिहार सं बहुत संख्या मे युवा साथी दिल्ली आयबाक संभावना अछि, जे हुनकर पार्टी प्रति समर्पण आ जोश के प्रमाण दैत अछि। ओ ईहो जनौलनि जे आगामी विधानसभा चुनाव 2025 केर रणनीति पर विशेष चर्चा होएत।

ओ कहलनि जे “बिहार फर्स्ट, बिहारी फर्स्ट” केर विज़न के गाँव-गाँव धरि पहुँचेबाक योजना अछि। संगहि, युवा मोर्चा के संगठनात्मक विस्तार आ सशक्तिकरण पर सेहो मंथन कएल जाएत। युवा सभ के बेसी सं बेसी जोड़बाक लेल सोशल मीडिया आ डिजिटल कैंपेन केर रणनीति पर श्री प्रणव कुमार केर नेतृत्व मे विशेष जोर देल जाएत।

ई बैठक युवा नेतृत्व के एकजुट करबाक आ हुनका आगामी चुनाव लेल तैयार करबाक दिशा मे एक निर्णायक पग मानल जा रहल अछि। “बिहार फर्स्ट, बिहारी फर्स्ट” के मंत्र संग पार्टी खास क’ बिहार मे अपन जनाधार के मजबूत करबाक दिशा मे सक्रिय अछि।

تعليقات

المشاركات الشائعة من هذه المدونة

मैथिल पत्रकर ग्रुप द्वारा दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दिल्लीक ताज पैलेस मे मिथिला आ दरभंगा राजक गौरवगाथा

About Us

केवटी प्रखंड कार्यालय परिसर सं सरकारी गाछ काटए के मामला गरमाएल

मोदीजी बिहार के देथिन 7,200 करोड़ सऽ बेसी के विकासक सौगात

Advertise With Us

बिलट पासवान “विहंगम”

मैथिल पुत्र ‘प्रभात’ कहियो ‘अस्त’ नहि हेताह- डॉ. विनीत उत्पल