दिल्ली के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे शनि दिन, 12 नवम्बर के मिथिला महोत्सव-6 आ मैथिली साहित्य महोत्सव-3 के आयोजन भेल। मैथिल पत्रकर ग्रुप द्वारा प्रेस एसोसिएशन, प्रेस क्लब ऑफ इंडिया आ ओखला प्रेस क्लब के सहयोग स एहि कार्यक्रम केर आयोजन कएल गेल। आयोजनक शुरुआत मैथिली साहित्य महोत्सव ३ सं भेल। एहि मे ‘हवाई जहाज दरभंगा पहुँचला पर मिथिलाक विकास केँ कतेक पाँखि भेटल’ आ ‘प्रवासी मैथिल राजनीतिक रूप सँ समृद्ध किएक नहि छथि’ विषय
केवटी (दरभंगा): दरभंगा जिला के केवटी प्रखंड मुख्यालय परिसर सं सरकारी गाछके अवैध रूप सं काटए के मामला एकटा बड़का प्रशासनिक विवाद बनि गेल अछि। बताएल जा रहल अछि जे, एतय एकटा नहि बल्कि कबीर आधा दर्जन छोट-बड़ बेशकीमती गाछ काटि कए हटा देल गेल अछि। एहि घटना सं स्थानीय लोक आ प्रशासनिक व्यवस्था पर गंभीर सवाल उठि रहल अछि।
Mithila News is a dedicated platform spotlighting the culture, heritage, and traditions of the Mithila region. We bring stories that celebrate its people, history, and identity.
लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) केर युवा मोर्चा केर राष्ट्रीय कार्यकारिणी बैठक आगामी 21 जुलाई के नई दिल्ली स्थित कंस्टिट्यूशन क्लब मे आयोजित होयवाक अछि। एहि महत्वपूर्ण बैठक मे पार्टीक केंद्रीय अध्यक्ष श्री चिराग पासवान, लोकसभा सांसदगण संग संगठन स जुड़ल वरिष्ठ नेता लोक सेहो भाग लेतीथ।
दिल्लीक ताज पैलेस होटल मे 31 अगस्त के राज दरभंगा केर इतिहास आ संस्कृति केर गौरवित अध्याय पुनः जीवित भेल। अवसर छल कुमार अरिहंतक अठारहम जन्मदिन आ इतिहासकार तेजकर झा के लिखल पुस्तक “राज दरभंगा: धर्म संरक्षण सं लोक कल्याण” क विमोचनक। एकर संग मिथिला आ राज दरभंगाक स्वर्णिम परंपरा पर राष्ट्रीय स्तरक चर्चा सेहो भेल।
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार के मोतिहारी आबि रहल छथिन्ह। एहिठाम ओ राज्य के लेल लगभग सात हजार दू सौ करोड़ टाका सऽ बेसी के विकास योजना सभक उद्घाटन आ शिलान्यास करथिन। ई दौरा खास क’ उत्तर बिहार लेल बहुत पैघ महत्व रखैत अछि। मोतिहारी मे हुनकर जनसभा सेहो होएत।
Comments
Post a Comment