मोदीजी बिहार के देथिन 7,200 करोड़ सऽ बेसी के विकासक सौगात

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार के मोतिहारी आबि रहल छथिन्ह। एहिठाम ओ राज्य के लेल लगभग सात हजार दू सौ करोड़ टाका सऽ बेसी के विकास योजना सभक उद्घाटन आ शिलान्यास करथिन। ई दौरा खास क’ उत्तर बिहार लेल बहुत पैघ महत्व रखैत अछि। मोतिहारी मे हुनकर जनसभा सेहो होएत।


सब सऽ पहिने बात करी रेल परियोजनाक — दरभंगा सं थलवारा आ समस्तीपुर सं रामभद्रपुर धरि रेल लाइन के दोहरीकरण, दरभंगा सं नरकटियागंज रेल लाइन के विस्तार, आ समस्तीपुर-बछवाड़ा सेक्शन में ऑटोमैटिक सिग्नलिंग लगाओल जाएत। एकर मतलब ई जे अब ट्रेने जल्दी आ सुरक्षित चलत। संगहि पाटलिपुत्र स्टेशन पर वंदे भारत ट्रेन के रख-रखाव लेल नव शेड बनाओल जाएत, जे नव तकनीक सं लैस होएत।

चारटा नव अमृत भारत ट्रेनक उद्घाटन सेहो होएत। एकटा पटना सऽ दिल्ली, दोसर मोतिहारी सऽ आनंद विहार, तेसर दरभंगा सऽ लखनऊ, आ चउठा मालदा टाउन सऽ लखनऊ भागलपुर होएत चलत। एहि ट्रेन सभ सं बिहार के मुख्य शहर अब दिल्ली-लखनऊ सं आर बेसी नीक सं जुड़ि जाएत।

सड़क निर्माण पर नजर दी—मोदी जी आरा सं मोहनिया तक चार लेन के बनाओल जा रहल NH-319 पर ध्यान देथिन। एकरा बनाबै मे करीब 820 करोड़ टाका खर्च होएत। संगहि सरवन सं चकाई धरि दू लेन सड़क बनाओल जाएत जेहि सं झारखंड आ बिहार के बीच संपर्क सुधरत।

डिजिटल विकास के बात करी त’ दरभंगा मे नव STPI सेंटर आ पटना मे स्टार्टअप इनक्यूबेशन सुविधा खोलल जाएत। एकर मतलब ई जे अब बिहार के नवका लड़का-लड़की सब IT आ स्टार्टअप मे अपन पांव जमा सकत।

मछली पालन लेल सेहो पैघ काम होएत—जइमे नव हैचरी, फीड मिल, सजावटी माछ पालन आ बायोफ्लॉक यूनिट बनत। ई सब योजना सं खास क’ ग्रामीण इलाकाक लोग सभ के रोजगार आ आमदनी मे बेसी सुधार होएत।

महिला सशक्तिकरण पर जोर देत, प्रधानमंत्री 61,500 महिला स्वयं सहायता समूह के कुल मिलाके 400 करोड़ टाका केर सहायता देथिन। संगहि 12,000 लोकनिक गृह प्रवेश आ PM आवास योजना के तहत 40,000 घर लेल आर्थिक मदद देथिन। ई सब सं गरीब परिवार सभ के जिनगी मे ठोस बदलाव अबै के उम्मीद अछि।

मोतिहारी सं शुरू होए बला ई विकासक धारि बिहार के नव युग दिस ल’ जा रहल अछि—जतऽ रेल, सड़क, डिजिटल, रोजगार, माछ पालन आ महिला शक्ति के भरपूर संबल भेटत।

Comments

Popular posts from this blog

मैथिल पत्रकर ग्रुप द्वारा दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दिल्लीक ताज पैलेस मे मिथिला आ दरभंगा राजक गौरवगाथा

21 जुलाई के होयत लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) युवा मोर्चा राष्ट्रीय कार्यकारिणी केर बैठक

About Us

केवटी प्रखंड कार्यालय परिसर सं सरकारी गाछ काटए के मामला गरमाएल

बिलट पासवान “विहंगम”

मैथिल पुत्र ‘प्रभात’ कहियो ‘अस्त’ नहि हेताह- डॉ. विनीत उत्पल

Advertise With Us