केवटी प्रखंड कार्यालय परिसर सं सरकारी गाछ काटए के मामला गरमाएल
केवटी (दरभंगा): दरभंगा जिला के केवटी प्रखंड मुख्यालय परिसर सं सरकारी गाछके अवैध रूप सं काटए के मामला एकटा बड़का प्रशासनिक विवाद बनि गेल अछि। बताएल जा रहल अछि जे, एतय एकटा नहि बल्कि कबीर आधा दर्जन छोट-बड़ बेशकीमती गाछ काटि कए हटा देल गेल अछि। एहि घटना सं स्थानीय लोक आ प्रशासनिक व्यवस्था पर गंभीर सवाल उठि रहल अछि।
एक नहि, कई गाछ भ गेल साफ
स्थानीय सूत्र आ घटनास्थल पर भेटल साक्ष्यक अनुसार प्रखंड मुख्यालय आ मनरेगा भवनक पाछां खेतक नजदीक सं करीब आधा दर्जन गाछ काटि देल गेल अछि। एखन ओतय सिर्फ ठूंठ मात्र बचल अछि।
मौका पर बिखरल लकड़ीक टुकड़ा आ ताजा बुरादा सं लगैत अछि जे कटनी हालहि मेंभेल अछि। प्रत्यक्षदर्शीक दावा अछि जे बिना कोनो वन विभागक अनुमति, गाछ काटि ट्रैक्टर पर लादि अज्ञात स्थान पर पठा देल गेल।
बीडीओ पर सीधा आरोप
एहि मामला में सामाजिक कार्यकर्ता मो. इकबाल अंसारी सीधा बीडीओ चंद्र मोहन पासवान पर आरोप लगौने छथि। हुनका अनुसार, एहि अवैध कटनी लेल प्रशासनिक जिम्मेदारी तय होबक चाही। ओ वन विभाग मे आवेदन द कार्रवाईक मांग केने छथिन्ह।
जांचक कछुआ चाल पर उठल सवाल
वन विभाग करीब पांच दिन पहिने जांचक आदेश द फॉरेस्टर काजल कुमारी के रिपोर्ट सौंपबाक जिम्मेदारी देने छल। मुदा एखन धरि रिपोर्ट वरीय अधिकारी लग जमा नहि भेल अछि।
स्थानीय लोक के आरोप अछि जे मामला “हाई प्रोफाइल” होएबाक कारण जांच जानबूझि क धीमा कएल जा रहल अछि। क्षेत्र मे चर्चा अछि जे मामला के रफा-दफा करबाक कोशिश चलि रहल अछि।
प्रशासन कहैत अछि—रिपोर्टक इंतजार
जखन एहि संबंध मे वन प्रमंडल पदाधिकारी हेमकांत झा सं पूछल गेल, तऽ हुनकर कहब छल, “जांचक आदेश देल जा चुकल अछि। जखन जांच अधिकारी काजल कुमारी द्वारा रिपोर्ट सौंपल जाएत, तखन दोषी पर कानूनी कार्रवाई कएल जाएत।”
क्षेत्रमें चर्चा गर्म
सरकारी परिसर, जतय सुरक्षा आ निगरानीक दावा कएल जाइत अछि, ओतय सं आधा दर्जन गाछ काटि ट्रैक्टर पर लादि ले जाएब लोकनि लेल आश्चर्यक विषय बनल अछि। स्थानीय अखबार आ सोशल मीडिया मे ई मुद्दा छायल अछि।
इलाका मे चर्चा अछि जे बिना उच्चाधिकारीक मिलीभगत एहन घटना संभव नहि। एखन सभक नजर काजल कुमारीक जांच रिपोर्ट पर टिकल अछि।
रिपोर्ट- केवटी पत्रकार टोली







Comments
Post a Comment